सीधे मुख्य सामग्री पर जाएं

विस्मृत शब्दक मादे विमर्श : प्रयोग आ प्रासंगिकता


विस्मृत शब्दक मादे विमर्श : प्रयोग आ प्रासंगिकता
______________________________________

लेखक -: विकाश वत्सनाभ जी

वस्तुतः ओ विस्मृत शब्द सभ जड़ि थिक। जड़ि दिस देखबाक प्रवृत्ति अपन अस्मिता केँ अखण्ड रखबाक पहिलुक ओरिआओन होइत अछि । एहन शब्द सभ मैथिलीक अपन बासनक रान्हल मधुरगर पाक अछि जकर प्रकृति आ उत्पत्ति मिथिला-मैथिली संस्कार आ संस्कृति से भेल अछि। एहि मे आत्मीयता आ भाषाक सुवास छैक। वस्तु, स्थान आ परिवेश केँ ओकर नैसर्गिक रूप मे आत्मसात करएबाक सहजता छैक।
ओ शब्द सभ पुरान घरक सूचक सँ बेसी नव घर मे ओहि स्मृति केँ जोगा कए रखबाक एकटा उद्योग छैक जतय ओ आब अनभुआर सन 'फील' करैत अछि। प्रत्येक भाषाक शब्दक अपन एकटा विशिष्ट संस्कृति होइत छैक। एहि संस्कृति मे समयानुकूल परिवर्तन सेहो होइत छैक। आन भाषा सँ पैंच-उधार चलैत रहैत छैक। भाषा केँ जिबैत रहबाक लेल ओकरा अपन बाउंड्री मे किछु स्पेस तँ अवस्से दोसर भाषा केँ देबाक चाही जाहि सँ ओ समीचीन आ प्रासंगिक बनल रहए। अनेक तरहक वैश्विक परिवर्तन केँ आत्मसात कए सकए। मुदा एहि अधिकारक विस्तार एतेक नहि विस्तृत हुए जे आगंतुक चासे हरैप लैथ। अल्ट्रामोडर्न हाउस मे अतिप्राचीन पेंटिग टाँगब एखनहुँ प्रासंगिक अछि आ ताहि हेतु ओकर स्पेस पहिनहि सँ ओहिठाम निर्धारित कएल जाइत छैक ।
ओ शब्द सभ हराएल नहि अछि । विस्मृत भए रहल अछि । हमर अनुभव अछि जे एहि शब्द सभक प्रयोग सँ पाठक केँ कोनो एक्स्ट्रा लोड नहि लेबए पड़ैत छनि आ ओ सहजहि फ्लैशबैक मे ओहि शब्द सँ आत्मीयता स्थापित करैत छथि। हुनका रुचिकर लगैत छनि। कुंभक मेला मे हेराएल कोनो समांग जँ केलिफोर्निया मे भेटैथ तँ कतेक आह्लादित होएब तकर आकलन कए सकैत छी।
शब्दक एकटा पृथक ओजन होइत छैक जे रचना मे ओकर कथ्य केँ विस्तार दैत छैक आ ओकरा प्रभावकारी बनबैत छैक। कवि विद्यानंद झाक एकगोट कविता छनि : बैगनी रंगक ई बूसट। एहिठाम बूसट केँ शर्ट अथवा आओर कोनो तेहन शब्द लिखल जाए सकैत छल। मुदा कि ओकर ओजन ओएह होइतैक ? वस्तुतः शब्दक चयन कविता मे निहित पात्र आ ओकर चरित्र पर निर्भर करैत छैक ।
हँ, कविक ई दायित्य अवस्से जे ओहि पुरान शब्दावली केँ एखुनका समय केँ वस्तुस्थिति सँ जोड़ि ओकरा बोधगम्य बनबैथ। लोकल शब्दक ट्रीटमेंट सँ ग्लोबल बोध करेनिहार एहि साहित्य मे कवि भेलाह अछि। एखनहुँ छथि । आदरणीय कवि नारायण जी, धनखेती मे बोझ पर पीठि टिका वैश्विक कविता लिखैत छथि।
मैथिलीक शब्द संपदा विपुल अछि। मुदा से आब अनभुआर भेल जाए रहल अछि। एकर मूल कारण थिक पढ़बाक स्पृहा मे कमी आ लोकक गाम सँ कटैत संबंध। बौआ जँ नकसी लगा भाँटा तोड़ैत छथि तँ ताहि मे बौआक कोन दोख ? एहन मे ओहि शब्द संपदा केँ जोगा कए रखबाक काज सहित्यजीवी कए सकैत छथि। हेराएल शब्दक प्रयोग एहिठाम एहि जिम्मेवारिक संग होएबाक चाही जे संपदा सेहो अनामति रहय आ रचनाक सम्प्रेषणीयता सेहो बाँचल रहए । यात्रीजीक एकटा कविताक किछु पाँती एहि विमर्श केँ आओर फ़रिच्छ कए सकैत अछि : माथ पर उत्तुंग खोपा/तपोवानी स्टाइल मे बान्हल/आ' ताहिमे लपेटल चम्पा फूलक माला/ गए नुनु! / ककर ककर प्राण लेबही तों आइ ?
जँ मौलिक शब्द, कविताक शिल्प आ समकालीन संसारक बोध हुए तँ हमरा जनैत ई प्रयोग एकटा बेहतरीन कॉम्बो भए सकैत अछि ओहिना जेना फुलहा थारी मे कोनो एग्जॉटिक इटैलियन भोजन परसल हुए ।
- विकाश वत्सनाभ

इस ब्लॉग से लोकप्रिय पोस्ट

बोलेरोको ठक्करबाट एकजना पैदलयात्रीको मृत्यु

बोलेरोको ठक्करबाट  एकजना पैदलयात्रीको मृत्यु लहान खबैर/ ११ गते ,राजविराज । पूर्व–पश्चिम राजमार्गअन्तर्गत सप्तरीको खड्क नगरपालिका–५ स्थित खर्चुइयामा बोलेरो गाडीको ठक्करबाट एकजना पैदलयात्रीको मृत्यु भएको छ । मृत्यु हुनेमा पैदलयात्री सोही ठाउँका अन्दाजी ५० वर्षीय मनिलाल चौधरी रहेको प्रहरीले जनाएको छ । शनिबार पूर्वबाट पश्चिमतर्फ आउँदै गरेको को १ च ९८५४ नंको बोलेरोले बाटो काट्नेक्रममा चौधरीलाई ठक्कर दिएको थियो । सो ठक्करबाट चौधरीको घटनास्थलमै मृत्यु भएको थियो ।  यता ठक्कर दिने बोलेरो र चालकलाई इलाका प्रहरी कार्यालय कडोरवनाले नियन्त्रणमा लिएको छ ।

प्रेस विज्ञप्ति तराई मधेश राष्ट्रिय परिषद (Tarai Madhesh National Council)

प्रेस विज्ञप्ति तराई मधेश राष्ट्रिय परिषद (Tarai Madhesh National Council)  लहान खबैर/ हिजो नेपाल सरकारले मधेशमा केहि स्थानीय निकाय थप्ने गरेको निर्णय माथी सर्बोच्च अदालतले अन्तरिम आदेश जारी गर्दै रोक लगाएका छ्न । यो आदेश आफैमा दुर्भाग्यपूर्ण र बदनियतपुर्ण भए पनि अनपेक्षित भने थिएन । इतिहास साक्षी छ जब जब नेपालका उत्पीडित समुदायको न्याय र समानताको हकमा कुनै निर्णय लिइन्छ तब तब सर्बोच्च अदालतले बडो निर्लज्जपूर्ण  तवर बाट न्याय संपादन र संविधानको संरक्षण गर्ने नाममा आफ्नो आदेश द्वारा निस्तेज पार्ने षड्यन्त्र गरेका छ्न । हिजो को निर्णय त्यही षड्यन्त्र को निरन्तरता हो ।  नेपाल राज्यका प्रमुख तिन अंग: सरकारले मधेसी जनताको मांगलाई बन्दुक को बलमा कुल्चिने, संसदले मधेशको पक्षमा संबिधान संसोधन हुन नदिने र अदालतले मधेशी जनता को आन्दोलन र बलिदानी को बलमा प्राप्त हुन लागेको केहि सामान्य उपलब्धिलाई समेत पचाउन नसकि कानूनी दाउपेचमा अल्झाएर समाप्त गर्ने प्रयासको रुपमा अदालतले मधेशमा थपिएका स्थानीय तहलाई कार्यान्वयन नगर्न दिएको अन्तरिम आदेशलाई लिन सकिन्छ । मनन योग्य कुरा के छ भन...

चुनावी सरगर्मी वढयो, उम्मेदवार टुङगो नलाग्दै दलहरु प्रचार प्रसारमा

चुनावी सरगर्मी वढयो, उम्मेदवार टुङगो नलाग्दै दलहरु प्रचार प्रसारमा जिबछ उदाशी लहान खबैर /लहान, बैशाख १२ गते । वढदो गर्मीसंगै सिरहा जिल्लामा चुनावी सरगर्मी वढन थालेको छ । नेपाली काँग्रेस , नेकपा एमाले , माओवादी केन्द्र र संघिय समाजवादी फोरम नेपाल आफनो पक्षमा चुनावी परिणाम पार्न उम्मेदवारको टुङगो नलागे पनि प्रचार प्रसारलाई निकै तिव्रता दिएको छ । चिया पसल , चौतारा , पान पसल लगायत सार्वजानकि ठाँउहरुमा जहाँ मानिसहरु भेला हुन्छ , त्यहाँ यतिवेला चुनावी चर्चा मात्रै सुनिन्छ । स्मग्रमा सिरहा जिल्लाको आठ नगरपालिका र नौ गाँउपालिका रहेको सिरहाको लहान नगरपालिकामा नेकपा एमाले , नेपाली काँग्रेस र संघिय समाजवादी फोरमविच त्रिकोणात्मक प्रतिस्पर्धा हुने अवाज सर्वत्र उठन थालेको छ ।  आफनो पक्षमा परिणाम ल्याउन नेपाली काँग्रेस र नेकपा एमाले लहान नगरपालिकाको २४ वटै वाडाहरुमा घरदैलो कार्यक्रमलाई तिव्रता दिदै मतदातालाई आकर्षित वनाउन लागि परेको छ । दुवै दलले मोटरसायकल रयाली गरि आफनो शक्ति प्रदर्शनमा लागेको छ  । नेकपा एमालेवाट प्रस्तावित मेयरका उम्मेदवार मुनि साह , विनोद साह र रामरति राम संगै...